तीज के नशा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

तीज के नशा

🌷तीजके नशा 🌷

एलै तीज के पाबैन आइऽ
साथी सङी मिलि मनेबे करब,
कतबो रोकु पिया जी आइऽ
नइहर हम त जेबेऽ करब।

नुकेबै कतऽ हमरा स बची
लभका सारी किनेबे करब,
चुरी, गहना, जुतबन चाहिँ
तलब कऽ बोनस सठेबे करब।

मुन्ना मुन्नी के छोडिक जाइछी
बहला फुसलाक खेलेबे करब,
बनाक खाना अपनेसऽ खायब
समय पर ओफिसऽ जेबे करब।।

    .✍गायत्री सिंह
लहान

कोई टिप्पणी नहीं