रंगभेदी पोखरेल के विरोध सब अखिनो नै रुकल अछि सिरहाके लहानमें पोखरेलके पुतला दहन केल गेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

रंगभेदी पोखरेल के विरोध सब अखिनो नै रुकल अछि सिरहाके लहानमें पोखरेलके पुतला दहन केल गेल

रंगभेदी पोखरेल के विरोध सब अखिनो नै रुकल अछि  सिरहाके लहानमें पोखरेलके पुतला दहन केल गेल

✍अशोक कुमार सहनी।

सिरहा, लहान २४ गते भदौं । सिरहामें मधेश विरोधी एमाले नेता शंकर पोखरेलके पुतला दहन केने अछि । एमाले नेता पोखरेल सामाजिक सञ्जाल ट्वीटरमें सार्वजनिक केने स्टाटसके विरोध करैत संघीय गठबन्धनके नेता, कार्यकर्तासब सिरहाके लहानमें आई पुतला दहन केने संघिय समाजबादी फोरम नेपालके नेता राम दयाल यादब जी जानकारी देलक ।

एमाले नेता पोखरेल मधेशीसब केअपमान करै किसिमके स्टाटस सामाजिक संजाल ट्वीटरमें ट्वीट करल तब पुतला दहन केलि नेता यादब बतोलक । गठबन्धनके नेता , कार्यकर्तासब एमाले नेता पोखरेलके बिरुद्धमें जोर-जोर से नारालगबै पुतला दहन केने मधेश विरोधी और अपमानजनक अभिव्यक्ति नै दैले चेतावनी सेहो  देने छेल । पुतला दहन के बाध आयोजन भेल कोण सभामें फोरम नेता सत्यनारायण यादव, दिपेश कुमार यादव, कृष्ण बहादुर यादव सब  नेता , कार्यकर्तासब भाषण के करम में एमाले नेता पोखरेल ऊपर आक्रोश व्यक्त केने छेल । नेता पोखरेल रंगभेदी अभिव्यक्ति दैके बाध मधेशमें चौतर्फी बिरोध भरहल छै और मधेशके जिल्लासब में पुतला दहन करैके काम जारि रहल छै।

✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं