हे ये भौजी, आब लगबू न, कोनो जुगाड़
ये भौजी, ये भौजी , यै
हे यै लगबू न, हमर कोनो जुगाड़ ll 2ll
सब संगतुरिया बियाह क लेलकै
अप्पन अलग स घर बसेलकै
हे यै कते दिन, आर हम रहबै कुमार
ये भौजी, ये भौजी, यै . . . . . . . ll 2ll
की कहूँ भौजी हम कोना रहै छी
भैर राईत भौजी अहुछिया काटै छी
हे यै जेना ध लेलक प्रेमक बुखार
ये भौजी, ये भौजी, यै . . . . . . . . ll 2ll
हमहू कुमार, आहाक बहिनों कुमाइर अईछ
दुनियाँ के छोरु , जखन घरे मे जुगाड़ अईछ
हे यै हम लड़का छी बड्ड होसियार
ये भौजी, ये भौजी, यै . . . . . . . . . ll 2ll
दिल्ली घुमेबैन, हम हूनका मुम्बई घुमबैन
लंदन मे जा क सुहाग राईत हम मनेबैन
हे यै हम घुमेबैन सोनपुर बाजार
ये भौजी, ये भौजी, यै . . . . . . . . . . ll 2ll
- - - - - - - - - - रोशन मिश्रा - - - - -
कोई टिप्पणी नहीं