सिरहा जिल्लामे संविधान दिवसकेर अवसरमें २० कैदीवन्दी छोड़ल गेल अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सिरहा जिल्लामे संविधान दिवसकेर अवसरमें २० कैदीवन्दी छोड़ल गेल अछि

सिरहा जिल्लामे संविधान दिवसकेर अवसरमें २० कैदीवन्दी छोड़ल गेल अछि


सिरहा में छोड़ल गेल के कुछ फोटो

✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला, सिरहा, असोज ५ । सिरहा कारागारसँ संविधान दीनके अबसरमें आ वडा दशैंसँ पहिले बहुत किसिमके मुद्दामें कैदके सजा काइट रहल  २० गोटे के छोड़ने अछि। जिल्ला कारागार सिरहाके अनुसार कर्तव्य ज्यान मारने मुद्दामें कैद भुक्तानी करहल मोरङ्ग ३ बाहुनेके मोने खवास चौधरी, धनुषा सिंग्याही मडानके रामकिशोर मुखिया, उद्योगके सिरहा लक्ष्मीनिया के कुशेश्वर यादव,आइग लगेने  मुद्दाके कल्याणपुर कालाबंजरके गंगा पासमान आ बौएलाल यादवके छोइड देने अछि । और माईंड-पिट के मुद्दामें सजाय भुक्तान करहल सिरहा नरहा रिगौंलके रामप्रित यादव, दिपेन्द्र यादव, कर्जन्हाके दिगम्बर साह, बहुविवाह मुद्दाके सिरहा डुमरी २ के सन्तोष कुमार यादव, लहान ६ के मनोज कुमार सहनी, असनपुर गोलबजार ८ के सन्तोष कुमार साह, लहान २ के रामनिवास महतो रहल अछि ।

नागरीकता किर्तेमें सजाय भुक्तान करहल सिरहा भदैयाके रामसेवक चौधरी, रामचन्द्र साह, शेरबहादुर खडका, दरपलाल चौधरी, डाइन-जोगिन के मुद्दाके गाढा गबिस ९ की इन्दु देवी सहनी, जनकदुलारी सहनी आ लेन-देन मुद्दाके मिश्रिलाल यादव रहल कारागार के प्रमुख शंकर लाल कर्णजी बतोलक । कर्तव्य ज्यान, ज्यान मारने उद्योग, आइग लंगेने कार्यालय, माईंड-पीट, बहुविवाह, नागरिकता किर्ते, डायन-जोगिन आ लेन-देन मुद्दामें सजाय काइट रहल २० गोटे के छोड़ने  कारागार प्रमुख कर्णजी जानकारी देलक । छुटल सबमे सरकारके नेतृत्व करहल माओवादी केन्द्र, नेपाली काँग्रेस आ नेकपा एमालेके पार्टीके नेता कार्यकर्ता सेहो रहल अछि । जिल्ला कारागार सिरहा ४० प्रतिशत सँ बेशी  कैद भुक्तान कचुकल के छोइड रहल प्रमुख कर्णजी कहलक । कारागार प्रशासनके नियमावली २९(२) अनुसार ६५ वर्ष उमेर पूगल बृद आ बहुत् खबर बीमारी भेल के २५ प्रतिशत कैद भुक्तान कचुकल तब् कारागार ऐनके दफा २२(२) मा कारागार सम्बन्धी अपराध नैकेने और चाल-चलन निमन रहलसबके सिफारिस   करै के प्रावधान रहल अछि । गृहमन्त्रालयके पत्राचार अनुसार सिरहा कारागारसँ छोडैकेलेल ‘क्राइटएरिया’ भित्र समाविष्ट भेलसबकेमध्ये २० गोटे छोड़ने अछि । मन्त्रालयसँ कैदी छोडै के लेल नीक आदमी सबके सिफारिस कके पठाउने कारागार आ जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ पत्राचार केने छेल । ओहि अनुसार कारागार आ जिल्ला प्रशासन कार्यालयसँ सिफारिस केने स्रोत बतेलक।

कोई टिप्पणी नहीं