लहान अस्पताल के इमर्जेंन्सीके लापरवाही सँ एक गोटे के मौत भेल अछि
लहान अस्पताल के इमर्जेन्सी इन्चार्जके लापरवाही सँ एक गोटे के मौत भेल अछि
लहान ,भाद्र २० गते रैबदिन करिब दुपहर के १ बैजके ४० मिनेट , जिल्ला सिरहा गोलबजार के मैनावती पुलमें मोटरसाइकल ठोकर में घायल भेल जिल्ला सिरहा गोलबजार ९ गोविन्पुर जोभा रहैबला १८ वर्षीके मोहम्मद सराउदिन के स.१ च .६९३ नम्बर भेल एम्बुलेन्समें जिल्ला सिरहा लहान ३ में रहल राम कुमार उमा प्रशाद स्मारक अस्पतालमें इलाजके लेल ऐल छेल I एम्बुलेन्स ड्राबर अमित यादवके कहनाम जे अस्पतालके इमर्जेन्सी ईन्चार्ज हेल्थ असिस्टेन्ट दिवाकर प्रताप सिंह के जाके कहलौ त कोनो कान बात नै देलक सिंह कहलक हमरा इमर्जेन्सी घर के अंदर लके आउ तब हम देखब घायल के I अनि कहलक हम असगरे छी ककरो हमरा संगे पठाबी आ नै त एम्बुलेन्स में जाके देखु घायल के अबस्था नाजुक अछि I मुदा उ हमर बात नै मानलक एकोबेर आ नै सुनलक उ अपने जिदमें अडल रहल कहलक अंदर लके आउ तबे देख हम गाड़ीमें नै जैब त नै जैब खलागल हम बहुत हार गोहार केलि तैयो एक बेर नै गेल घायल के देखैले I उन्टले हमरा गाइर गलोज करलागल I करिव आधा घण्टा बाध घायल सराउदिनके अपन आदमी ऐल तबतक सराउदिनके मौत भगेल छेल I ई बात सब जानकारी भेलापर की डाक्टरके लापर्वाहिसँ सराउदिनके मौत भेल त सराउदीन के आदमीसब अस्पताल के भीतर हो हल्ला करलागल इमर्जेन्सी ईन्चार्ज हेल्थ असिस्टेन्ट दिवाकर प्रताप सिंहके मार-पिटैले करलागल छेल I सिंहके मार-पीटै करैके खोजयस कनिक देर अस्पतालके अवस्था तनाव बनल छेल I हम एम्बुलेन्समें इमर्जेन्सी बिमारी लके येलो ई अस्पतालमें सब दिन लापरवाही करहल अमित बतेलक I
ई बीच में राम कुमार उमा प्रशाद स्मारक अस्पतालके प्रमुख मेडिकल सुप्रिटेन्ट सुनिल कुसवाहासंग अस्पतालके प्रसाशन शाखामें ई घटनाके विस्तृत जानकारी बुझ गेलौ त ओत दिवाकर प्रताप सिंह सेहो छेल प्रसाशन कक्षमें बैसल Iई घटना बारे में सुनिल सिंह संग पुछलो त एना किया भेल त तुरन्ते प्रताप सिंह जवाब देलक की हम घायलके चेक केलि त ओकर मौत भगेल छेल I येहे बीच में हम पुछली की मृत्युक के आदमीसब आहा के लापरवाही सँ मौत भेल अछि से आरोप लगरहल छै ? एम्बुलेन्स ड्राबर के कहनाम अनुसार अपने त एको बैर नै गेलौ घायल के देखैले I घायल के मौत भेल अछि की जिन्दा अछि। से कहै छै तब कहलक ई सब झूट कहै है हम देखलौ त मौत भगेल छेल आ टेवल ठोइक के कहलक कि अगर हमरा में गल्ति हेतै त हम सजाय भोगै ले तयार छि I यतबेक में कुछ समाज सेवी आ ईलाका प्रहरी कार्यलयके डिएसपी राजकुमार केसी आगेल ओकर बाध सचाई बुझकेलेल सिसि टिभी फुटेज देखै के निर्णय भेल I एम्बुलेन्स अस्पताल परिसर भित्र गेला के बाध करिब आधा घण्टा तकके सिसि टिभी फुटेज देखला सँ अस्पतालके कोनो डाक्टर आ कर्मचारी एम्बुलेन्स के पास नै गेल देखला सँ सुनिल कुसवाहा आ प्रताप सिंह माफी मागने छेल I मुदा ई लापरवाही कके माफी मागला सँ समस्याके समाधान नै हेत आ दोषीके कानुन बमोजि कारवाही करपरत से अडान मौत भेल सराउदिन के रिश्तेदार आ समाजसेवीसब लेलापर ईलाका प्रसाशन कार्यलयके शाखा अधिकृत पवन कुमार गुप्ताके संयोजकत्मा चार सदस्य छानबिन टोलि बनोलक I उ टोलीमें डाक्टर परशुराम यादव जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यलयके सिरहा ,ईलाका प्रहरी कार्यलय लहानके प्रहरी निरीक्षक कविर प्रधान ,अनुशन्धान जिल्ला कार्यलय सिरहाके अजय कुमार यादव रहल अछि i उ छानबिन टोली ७ दिन के अंदर में छानबिन कके दिवाकर प्रताप सिंह दोषी ठहरल त कानुन बमोजिमें कडा सँ कडा कारवाही करब से प्रतिवध्त ईलाका प्रशासन कार्यलयके शाखा अधिकृत पवन कुमार गुप्ता केलक तब सराउदिनके रिस्तेदार सब पोस्टमार्टम कराके लाश लगेल अछि i
दुर्घटना गोलबजार में मैनावती पुलमें स.१ ज .३६४ नम्बरके म्याजिक आ मौत भेल मोहम्मद सराउदिनले चलारहल स ६ प्. ३८३३ नम्बरके मोटरसाईकलमें ठोकर देला सँ दुर्घटना भेल छेल i म्याजिक आ ड्राबर गोलबजार प्रहरी कार्यलयके नियन्त्रणमें रहल अछि i
नोट. - मधेश स्पेशल.कॉम सँ ई न्यूज नेपाली में फिरोज सेख जी लिखने अछि
मैथिलि अनुबाद ✍ अशोक कुमार सहनी
(फाइल फोटो)
कोई टिप्पणी नहीं