प्रेस काउन्सिल पुरस्कार : ३२ गोटेमें मात्र ५ टा मधेशी–थारु के - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

प्रेस काउन्सिल पुरस्कार : ३२ गोटेमें मात्र ५ टा मधेशी–थारु के

प्रेस काउन्सिल पुरस्कार : ३२ गोटेमें मात्र ५ टा मधेशी–थारु के
पुरुस्कार भेटल सब के गुरुप फोटो आ राष्ट्रपति बिच में

✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला ७ गते असोज । प्रेस काउन्सिल नेपालके ४७ औं वार्षिगठबन्धनके अवसरमें ३२ गोटे पत्रकार आ एकटा सञ्चार संस्थाके पुरुस्कार देने अछि । जयमें जम्मा ५ गोटे मात्र मधेशी–थारु परल  अछि ।

नेपाल पत्रकार महासंघके रिकॉड अनुसार पत्रकारिताके क्षेत्रमें ६० प्रतिशतसँ बेसी पत्रकार मधेश थरुहट क्षेत्रमें अछि । मधेशके लगभग सब जिल्लामें सक्रिय  संख्यामें सक्रिय पत्रकारसब अछि मुदा प्रेस काउन्सिल काठमाडौंके पत्रकारसबके बेशी संख्यामें पुरुस्कार दरहाल से आरोप लगैत आ रहल अछि।

मधेशी थारुके पुरुस्कार भेटल  ५ गोटेके समान्य पुरस्कार देने अछि । मुख्य आ महत्वपूर्ण पुरस्कारसँ ओकरासबके बञ्चित केलक पुतुस्कार भेटलसब दुःख व्यक्त केने अछि ।

मधेशी थारुसँ पुरुस्कार भेटलमें शसक्त संचारकर्मी पुरस्कार डा.राजेश झा अहिराज आ महेश दास जी और समावेशी पुरस्कार लक्ष्मीकुमारी चौधरी आ शीतल महतो जिके देने अछि। युवा शसक्तिकरण पुरस्कार सप्तरीके श्यामशुन्दर यादवजी के देने अछि।

 श्री श्यामशुन्दर यादव जी 

करिब दुई दशकसँ पत्रकारितामें रहल आ विद्याबारिधि केने डा.झा जीके सशक्त सञ्चारकर्मी पुरस्कार दके अपमानित केने मधेशी अगुवाहसब के कहनाम रहल अछि । आ राजविराजमें रहिके महत्वपूर्ण योगदान दैत आरहल न्यूजटुडेके सम्पादक श्यामसुन्दर यादव जीके सेहो युवा शसक्तिकरण पुरस्कार दके  काउन्सिल अपमानित केने राजविराजके पत्रकारसब बता रहल अछि।




कोई टिप्पणी नहीं