मैथिली जिन्दावाद केर वर्ष २०१७ केर अवार्ड ऑफ़ एक्सीलेंट कंट्रीब्यूसन आ सम्मान अशोक कुमार सहनी के
मैथिली जिन्दावाद केर वर्ष 2017 केर अवार्ड ऑफ़ एक्सीलेंट कंट्रीब्यूसन आ सम्मान अशोक कुमार सहनी के
![]() |
| अशोक कुमार सहनी |
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ मैथिली भाषा ओ मिथिला संस्कृति केर संरक्षण, सम्वर्धन आ प्रवर्धन लेल वर्ष 2017 केर अवार्ड ऑफ़ एक्सीलेंट कंट्रीब्यूसन अशोक कुमार सहनी केँ देल जेबाक घोषणा करैत अछि। एहि में सम्मान पत्र केर संग कश्यप विद्यापीठ, इनरुवा, सुनसरी, मिथिला, नेपाल केर सौजन्य सँ 11 हजार नगद पुरस्कार सेहो देल जाएछ।
एक स्रष्टा भारतक मिथिला सँ सेहो रहता जिनका लेल निर्णय लम्बित अछि। ओना होड़ में प्रिय राम बाबू सिंह आर सबसँ बहुत आगू छथि। हमरा तरफ सँ हुनको बधाई। बाकी सल्लाहकार व् पब्लिक ओपिनियन मुताबिक़ अंतिम फैसला शीघ्र होयत।
एहि सम्बन्ध मे मैथिली जिन्दाबाद संपादक प्रवीण नारायण चौधरी सम्मानित सहनी सँ दूरभाष पर वार्ता करैत एहि बातक जानकारी करौलनि अछि। सहनी केँ हुनक आगामी नेपाल आगमन पर ई सम्मान समारोहपूर्वक देबाक घोषणा हुनका जानकारी करौलनि। सहनी प्रति राखल गेल उद्गार केर पाठ एतय निम्नरूपेण निवेदित अछिः
अशोक कुमार सहनी सिरहा आनलाइन वेब http://apanmithila.onlinesiraha.com/?m=1 पत्रिका पर मैथिली भाषा मे आ मूलतः मिथिला संस्कृति सँ जुड़ल पक्ष पर विशेष केन्द्रित समाचार, विचार, तस्वीर आदि पोस्ट करैत छी।
http://apanmithilageer.blogspot.qa
![]() |
| अशोक |
अशोक अपन मिथिला https://www.facebook.com/apnmithilaa/
अपन मधेश https://www.facebook.com/apnmadhesh/ आदि विभिन्न फेसबुक पेज सेहो अपरेट करैत छी आ विभिन्न लेखक, कवि, संवाददाता आदिक बात-विचार केँ विस्तृत पटल सँ प्रकाशित करैत अछि। अशोक पेशा सँ एकटा टेलर रहितो अपन सब खाली समय केँ अपन मातृभाषा, मातृभूमि आ राष्ट्र प्रेम मे बितबैत छी। मैथिली-मिथिलाक विभिन्न आयाम पर चलि रहल अभियान केँ सेहो अपन कठिन परिश्रम सँ अर्जित आय खर्च कयकेँ पोषण दैत अछि। अपन सहयोग देबाक लेल हेल्प मधेशी, सांझक चौपाड़ि पर और प्रबासी मिथिला समाज कल्याण, दोहा-कत्तार वा अन्य संस्थागत अभियान मे सदिखन सक्रिय रहैत अछि। विदेशक धरतीपर रोजगार करैत एको क्षण एहेन नहि जेकरा अपन माटि-पानि आ लोक-वेद लेल नहि सोचैत होए।
![]() |
| धीरेन्द्र सर के साथ अशोक |
सचमुच अशोक पर जानकी-रमण केर आ गौरी-शंकर केर असीम कृपा अछि। पहिने हिन्दी मे लिखैत रही जे बेसी लोक पढत-बुझत आ प्रतिक्रिया देत, मुदा सोशल मीडिया क्रान्ति मे मैथिलीक श्रेष्ठता सँ प्रभावित भ अपन मातृभाषाक काज मे समय आ साधन लगबैत अछि, हर तरहें अशोक सँ योग्य एहि घड़ी मे आर दोसर कियो नजरि नहि पड़ल। अतः मैथिली जिन्दाबाद केर वर्ष २०१७ केर मिथिलाक सेवकरूप मे अहाँ केँ सम्मान करैत अछि। जानकीक कृपा सदिखन बनलरहे
![]() |
| प्रवाशी मिथिला दोहा से सम्मान भेल अशोक आ साथी सब |
और देखु एहि लिंकपर
http://www.maithilijindabaad.com/?p=6629
अशोक के facebook :> https://www.facebook.com/ashokkumar.sahani
हरिः हरः!!




कोई टिप्पणी नहीं