किस्मत के मारल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

किस्मत के मारल

#किस्मत_के_मारल___
✒✍रोशन मिश्रा
किस्मत के मारल की करतै
छै किस्मत  पर  केकर जोर
हेतै वैह  जे  विधना रचलैथि
जुठ्ठे  लोक करैत अछि  शोर ॥

दैबक  मारि कियो नहि देखै
नय  होई छै  कनीको  हल्ला
आवै विपत्ति जखन माथ पर
मुँह देखत भरि टोला-मुहल्ला ॥

केकर किस्मत कखन पलटत
केकरो माथ अछि की लिखल
धनिकहा सबके घर चूबि रहल
गरीबहा के कोठा अछि पीटल ॥

जूनि करूँ गुमान  ऐतेक  आब
आहाँ अपन कर्म सँ बनु महान
जन्म भेल त मृत्यु अछि निश्चय
सब  किछू परल रहत एहीठाम ॥

                               ✒✍रोशन_मिश्रा___
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी

✔✔✔✔✔✔✔

कोई टिप्पणी नहीं