भाव विभोर - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

भाव विभोर

#भाव विभोर#

✍सोनी कर्ण 

भावक आभाव सs
बिचलित रहैय छलहूँ
चरिगो बेटी के कन्यादान
 करैत -करैत
इ बुझना में आबि गेल जे....
बिना पईसा के कोनो सपना
साकार नैय भs सकत !!!!
दहेजक नाम सs ....
देहक रोइया ठार भs जायत आछि
आदर्श बिबाहक नाम सs
विश्वास उठि गेल  छल ;
एकटा बिबाह मे जेबाक
अवसर भेटल!
हम्मर आश्चर्यकs कोनो ठिकाना नय रहल
व्यवस्था एहन ...जे..
बुझाय छल जेना स्वर्ग में
आबि गॆलौ !
"परिचय" के दौरान पता चलल
जे लड़के नैय बल्कि पूरा खानदाने उच्चाधिकारी सs
भरल छैय!
दहेजक नाम पर ......
सब बराती के लाले-लाले
धोती-कुर्ता आ लाले -लाल
सबहक रंगल सिर पाग !
 जोड़ी एहन ' जेना राम सिया के
छबि देखबाक अवसर
भेट गेल होय!
सुनबा मे आयल जे...
एकमात्र मांग छलै लड़का वला के
"तिलकोरक"तरुआ आ
भतखैई  के गीत !
बांकि सब खर्च ....
 लड़के वला के रहैय
समधि मिलानक झांकि देखि
भाव विभोर भs गेलहु
इंसानियत पर सs  उठल
भरोसा
एक बेर फेर सं जैईम गेल
जा धैर सांस3 ता धैर आस !
जय मिथिला जय मैथिलि !ंें

...✍सोनी कर्ण

#अपन_मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं