मैथिलि छठ गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिलि छठ गीत

छठि गीत


शिव कुमार झा टिल्लू
*******************************
निर्जल उपासलि मैथिली देथिन अरघिया
छठि हे' अहींकेँ अरघिया
सुरूज देवसँ कहबै ना
माता भरदुतिया के' दिनसँ अहूँ मिथिलेमे रहबै ना !
कोनियाँ सुनयनाक हाथे जनक माँथ बघिया
आहे राम जनक माँथ बघिया
सभ मिथिलानी सहबै ना
छठिहे' पटोर पहिरिके' सांचक आँटा महबै ना !!
सांझमे उषाके' आगत
भोरे प्रत्यूषाके' भागत
सांझमे उषाके' आगत मिलि-जुलि करबै
छठिहे मिलि-जुलि करबै व्रत तापस बिनु सहबै ना
भक्तिक भार उठायब भरिया कमलातट धरि बहबै ना
बाटक कांकड़ हे माता
करथि एकात सुजाता
बाटक कांकड़ हे माता चुनथि बेटी नयना
छठिहे भावुक  भेली मयना श्रद्धा सागर बढ़बै ना
गलती काल मैथिलीके' संग संग अहींक चरण पकड़बै ना !

कोई टिप्पणी नहीं