दिया चुक्की (बिहनि कथा)
💐 बीहनि कथा
🐚 दिया - चूक्की
✒✍वि.सी.झ "बमबम"
~ माटिक दिया - चूक्की सब लैऽ जाय जेथिन यैऽ ?
( कुम्हैन बाटे पर स हाक देलकय )
~ कोना दय छियै चूक्की ?
~ चौबीसे टके दर्जन छय लौथ ने !
~ ऐंऽ जड़ जड़ि गेलय आ एकर सबहक ऐंठन नहि गेलय !
~ नय लेथिन तऽ नहि लौथ आ एना नहि बाजौथ बुझलखिन ने ?
~ ऐं देखियो त सपरतीब ! इ चूकिया चौबीस टके लोक लेतय ?
~ तखन कि मंगनिए दऽ दियैन कि ?
~ एहि द्वारे तऽ अहाँ सब संऽ लोक आब छोड़लक इ सब लेनाय ! एकटा भाव स देवय त द दियो नय त - - - -
~ नय एहि स सस्त हम नहि देबनि !
~ तऽ हमर बउआ टिसन सं तखन पाँच टके रेटी-मेटे डिबिया किआ ने आनि लेत जे इ माटिक एते महग लेत ? तेल टेमी'क ओरीयौन सऽ सेहो फारकत्ती रहत !
~ आ हम जे एतेक मेहनति आ तरबदूति करैत छियै से नहि देखय छथिन !
~ आ रेटीमेट बला कि बिनु मेहनतिए आ दरुदति कऽ बना लैत हेतय ! जाउ जाउ नहि देवाक मोन य तऽ
~ जाइते छी ! हिनका बलजोरी नहि दैत छियैन !
लेखकः✒✍ वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट -: अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं