बलरा मे हर्षोल्लासपुर्ण दाहा निकालि मोहर्रम मनाओल गेल।

✍रंजित झा, अपन मिथिला ।
बलरा सर्लाही नेपाल। सर्लाही जिल्लाक बलरा-अर्नाहा लगायत सिमावर्ती गाम सभ मे आइए मुस्लिम समुदाय दाहा (ताजिया) निकाली मोहर्रम पर्व मनौले अछि। विभिन्न पारम्परिक हथियार सँ सुसज्जित बाजा गाजा संग बलरा गोट टोल मे अवस्थित मस्जिद सँ निकलल दाहा नगर परिक्रमा करैत धोउघटवा चौक पर रुकल छल। जम्माजम्मी 10% मात्रे मुस्लिम समुदाय भेलाक वादो दाहा के समुच्चे नगर परिक्रमा कराकऽ हिन्दु वहुल बलरा गाव समुचा दुनियाक सामने भाईचाराक अप्पन पृथक परिचय देलेन अछि। नगर परिक्रमा करैत काल बलराक हिन्दु समुदाय दाहाके महाबिरी झण्डा जका अछ्छत, फुल, दुभी आ अगरबती सँ पुजि दाहा के स्वागत सेहो केलेन अछि। ज्ञातब्य हो जे बलरा आ अर्नाहाक दाहा मिलान शितला माई मंदिर सँ पच्छिम धोउघटवा चौक ठम होइत अछि। एम्हर भारत मे भऽ रहल हिन्दु-मुस्लिमक झगडा लऽकऽ सिमा प्रहरी चौकी बलरा, डुमरिया प्रहरी चौकी आ सशस्त्र प्रहरी चौकी छतौना सँ नेपाल प्रहरी आ APF बलरा दाहा मेलाक जायका लऽ वापस घुरल छल। तहिना सिमावर्ती सितामढीक बसबिट्टा मे सेहो ताजिया निकालि मोहर्रम मनाओल गेल अछि। सितामढीक रिगा मे दशमीक दिन भेल मारपिट लऽ कऽ आइ बसबिट्टा मे उल्लेखनिय मात्रा मे सुरक्षा दस्ता परिचालन कैल गेल अछि।
✍रंजीत झा

कोई टिप्पणी नहीं