चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना

मैथीलि छठि गीत

चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना !


✒✍शिव कुमार झा "टिल्लू"

*******************************
छठिमाता अयली भगत अंगना
चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना !
गमकि गेल खीर आब चूल्हिसँ उतारू
बीति गेलै दुःखककाल तुष्टिसँ संवारू
पातरि सजाबथि भरल नयना
चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना !
अनुपालक घौर काटि बालक हँसै छथि
संतोखी गात माय भोग लगबै छथि
भाव भरल भक्त सुरूज मोन मगना
चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना !
वातक सुगंध सूँघि प्रत्यूषा एलथि
जीवक सिनेह देखि उषाकेँ बजेलथि
नवनव बहुआसिन साजल कंगना
चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना !
दू दिनक पावनि ई धरतीपर रहबै
छठिमाय भक्तेसंग सुख दुःखकेँ सहबै
भक्ति भरल साज बाज भाव बजना
चलू - च'लू अय भगतिन करब खरना !
हे माता ! देलहुँजे तकर होइ भोगी
आहिक ने व्याधि धरय ने देहक रोगी
त्रासल पियास हरू करू चंगना

गीतकार :-✍शिव कुमार झा "टिल्लू"

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


✔✔✔✔

कोई टिप्पणी नहीं