थोरे लगानीसे करोडौँ के कारोबार - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

थोरे लगानीसे करोडौँ के कारोबार

थोरे  लगानीसे करोडौँ के कारोबार


✍अशोक कुमार सहनी ,
अपन मिथिला | – पर्वत के एक स्त्री उधोगी थोरे लगानीसे सुरु केने उद्योग से वार्षके करोडौ रुपैया के कारोबार करहल अछि ।

मल्लाज माझफाँट के अनीता मल्ल केसी डेढ बर्ष पहिले सुरु केने कालीगण्डकी चाउचाउ उद्योग से उ अखुन करोडौ सम्पत्ती के मालकिन साथ में सफल उधोमी के रुपमें सेहो जानैत अछि ।
पर्वत बेनीमा वि.स २०६१ में साढे दुई लाख रुपैया से लगानीमें सुरु केने उद्योग से भेल आम्दानी से केसी  धाईरीङ ५ मिलनचोकमें बनल घर जमीन आ तिन टा घरेरी जमीन किनने  अछि ।

भाडाके घरसे उद्योग सुरु केने केसी अखुन अपने जमीन में  उद्योग चलारहल अछि घरपरिवार और चार  गोटे के रोजगारी सेहो देने अछि । अखुन पचास लाख रुपैया लगानी रहल उद्योगसे वार्ष के एक करोड रुपैया बराबरके कारोबार भरहल केसी बतेलक ।

‘अपने ब्यवसाय करै के सोचसे थोरे लगानीमें दोसर से उद्योग किनने छेल । बेटा-बेटी  छोट छेल  । घरायसीके साथ उद्योगके काम करै लेल बहुत् दुख भेल छेल’ केसी कहै छै ‘अखुन उद्योगमें मात्र पचास लाख लगानी छै। एक करोडके कारोबार होइछै  । परिवार सेहो साथ दरहल अछि ।  हम सन्तुष्ट  छि ।’ केसी के कहनाम अछि .।

उद्योगमें बनल  दिनके तिन सय किलो चाउमिन म्याग्दीके बेनी, दरवाङ, गलेश्वर, भुरुङतातोपानी, उत्तरी पर्वतके साथ कुश्मा आ बागलुङमें  बिका रहल अछि । अपने गाडीमें चाउमीनके साथ सस बेच सेहो बजार जाय छै ।

उद्योगके काममें दिनके १७ घण्टा तक खटै छै केसीके दू टा बेटा बेटी आ साउस सेहो साथ मे काम में हाथ बटाबै छै । बिदेशमें नीक आम्दानी भरहल कम्पनीमें काम करहल पति तेजेन्द्रके सेहो ओकर साथ दरहल अछि । ओकर बेटा बेटी बेनीके निजी विद्यालयमें पढ़ रहल अछि ।
सामुदायीक विद्यालयमें निजी स्रोतके शिक्षक आ लघुवित्त संस्थाके जागीर छोइड उद्यममें हात लगेने केसी निरन्तर संघर्ष, परिवारके साथ, ईमान्दारि के साथ आ मेहनत करै आरहल में सफल भेल  ।

उद्योगके थप व्यवस्थित आ क्षमत्ता विस्तार करै के लक्ष्य राखने केसी  मुर्गी पालन सेहो केने अछि । घरायसी आ उद्योगसंगै उ सामाजिक संघ संस्थामें समय दरहल अछि ।

घरेलु महासंघकी केन्द्रिय सदस्य रहल केसी महिला उद्यम समिति म्याग्दीके कार्यसमिति आ महिला सुधार आमा समूहके सदस्यके रुपमें सामाजिक काममें सक्रिय अछि ।


✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं