छठि मैया के गीत
छठि मैया के गीत
✍शिव कुमार झा टिल्लू
****************************
एहिबेर हमरोघर एबै छठि माता
अपनेक आशीष हम पेबै सुजाता
सुरुजसँ सनेस हमर कहि देबनि ना
माय, एहिसाल हमहूँ त' अर्घ्य देबनि ना ...
भावक खुद्दी खरना ले' संजोगल
गूड़क गोल ढ़ेप जेना नेह मेखल
सेबबनि ओना जेना भक्त सेबनि ना
माय, एहिसाल हमहूँ त' अर्घ्य देबनि ना ...
पाकल बांस नहि करचीक डाला
सुमनने भेंटल तेँ पातेक माला
जे देतथि हीयासँ लूटि लेबनि ना
माय, एहिसाल हमहूँ त' अर्घ्य देबनि ना ...
एकटा सूप भेल एक्केटा कोनियाँ
एम्हरो ताकू हे सुरूज के रनियाँ
लाली पर कांच दूध ढारि देबनि ना
माय, एहिसाल हमहूँ त' अर्घ्य देबनि ना ...
पहिने प्रत्यूषा अस्ताचल गामी
तखने ऊषा उदित भानुनामी
पंचामृत ग्राससँ पुरुब पेबै ना

कोई टिप्पणी नहीं