आइ दियावातीमे दियारी जलेबै हम - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आइ दियावातीमे दियारी जलेबै हम

 आइ दियावातीमे दियारी जलेबै हम

✍अशोक कुमार सहनी
___________________________

 आइ दियावातीमे दियारी जलेबै हम,
 घर दूवार प्यारके रंग से सजेबै हम ।

 रहे नै कोनो भेद, नै रहे कोनो भाव,
 मिलजुइलके साथ में दियारी जलेबै हम ।

 रुसलके मनाबै, हरायलके मिलेबै,
 सुमधुर मिथिलाके गीत गाबवै हम ।

 कुछ नयाँ  पुरान यादके सजाके,
 मिथिला के अनहरिया हटेबै  हम ।

दियारी, हुकालोली ऒर भटकाके सँगे,
 मैथिल एकताके झण्डा लहरेबै हम ।
मिथिला एकताके झण्डा लहरेबै हम ।

 जय मैथिल ,जय मिथिला

✍ 'अशोक कुमार सहनी'
लहान ४ रघुनाथपुर
अखुन, (दोहा क़तार)

🔵❤🔵❤🔵❤🔵❤🔵🔵
पोस्ट -:अशोक कुमार सहनी
✍✍✍✍✍🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं