मीत आहाँके जहिया सँ बना लेलियै - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मीत आहाँके जहिया सँ बना लेलियै


मीत आहाँके जहिया सँ बना लेलियै



मीत आहाँके जहिया सँ बना लेलियै
उजरल जिनगी अपन सजा लेलियै

सिख लेलौ जिनगी जीयब कोना केर
नेह आहाँ सँग जहिया सँ लगा लेलियै

पाबि आहाँके संसारेंमें स्वर्ग पाबि लेलौ
प्रीत करेजमें आहाँ जेऽ बसा लेलियै

निट्ठुर सन मन जे कहियो नै बिहुसल
पाथर के सेहो आहाँ जे हँसा लेलियै

आइओ धरि मुह मिठ छै 'अशरफ़' क
जहिए हमरा ठोर सँ ठोर सटा लेलियै

✍ अशरफ़ राईन
सिनुरजोडा , धनुषा

कोई टिप्पणी नहीं