विवाह गीत मैथिलि
🌷🌷🌷विवाह गीत🌷🌷🌷
बहिन:-
एते दिन छलियै भैया के दुलारी ।
भेलौँ पराया आवैत ससुरारी ।।
एते दिन छलियै भैया के दुलारी.....
मोन परैया संगी सहेली
याद अबैया यौ बाबा के हवेली
कोना कs यौ भैया गेलौ बिसारी।
एतै दिन छलिये.......
भैया:-
बेटी धन तs पराया होइछै
एक दिन दोसर घर जैय परैछे
कोना क जेबौ बहिन तोर बिसारी।
एतै दिन ....
by- Mithilesh Kumar Jha via Seema Jha
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
❤❤❤❤❤
❤❤❤❤❤
❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं