छठि गीत मैथिलि
छठि मैथिलि गीत
✍शिव कुमार झा टिल्लू
******************************
छठिहे' हरु मोनक सभदोख हीया संतोखसँ भ'रू ना !!
भगत ठाढ़ अछि मोख कृपाक' भीतर क'रू ना !
दिनक उपासल खरना कयलहुँ लेसलहुँ संझा दीप
उदयाचलक उषासँ पहिने लेलहुँ घाटकेँ नीप
दियौ तुष्टि- ग्रास आशीष विदाके' बेरि'ने बिसरू ना
बेरि'ने बिसरू ना आशीषक बिना'ने ससरू ना

फलप्रसाद राति जागि संजोगल व्याधिल देह ने निन्न
हे माता ! तृष्णाक हाहिबिच स्पंदन बिनबिन
क्षणमे हंसी क्षणे बहिरहल ई नश्वर दृष्टिसँ अश्रु ना
अहाँने बिसरू ना मातृशक्ति बनि पसरू ना

चीन्हि'ने सकलहुँ सार्थक जीवन बाँचल यति विश्राम
आब अशेष'ने रास रहल अछि सोझाँ शेष विराम
सुनू हे ! याचन अंतिम याम मैथिली मिथिघर भ'रू ना
मिथिघर भ'रू ना रिक्त मयनाघर भ'रू ना

गीतकार ✍शिव कुमार झा टिल्लू

कोई टिप्पणी नहीं