सोहर (सीता जन्म)
सोहर (सीता जन्म )
✍शिव कुमार झा टिल्लू
*****************************
महमह मिथिला के' मंदिर खहखह गहबर रे
ललना सिया एली धरतीक कोर गाबथि माय सोहर रे !
गदगद जनकक नेह सुखक नहि परतर रे
ललना चहचह राज विदेह महल दिशि धरफर रे !
खसल अमिय सन नोर सुनयना मोन मलमल हे
ललना सभ दीन मांगथि बधैया जनकपुर मल्हरल रे !
खुशी मोन चानीसोन लुटबथि नृपकेर सहचर रे
ललना राग तान नव अनुरागमे सकल चराचर रे !
सजि गेल आशक पात सजल भोग छप्पन रे
ललना करथि पुरुब अभ्यास देखब कोना नेनपन रे !
गुरुजन गुनल सुदिन दिन सीता भवप्रीता रे
ललना पसरत मिथिलाक नाओं ई जगत पुनीता रे !
गीतकार ✍शिव कुमार झा टिल्लू
✍शिव कुमार झा टिल्लू
*****************************
महमह मिथिला के' मंदिर खहखह गहबर रे
ललना सिया एली धरतीक कोर गाबथि माय सोहर रे !
गदगद जनकक नेह सुखक नहि परतर रे
ललना चहचह राज विदेह महल दिशि धरफर रे !
खसल अमिय सन नोर सुनयना मोन मलमल हे
ललना सभ दीन मांगथि बधैया जनकपुर मल्हरल रे !
खुशी मोन चानीसोन लुटबथि नृपकेर सहचर रे
ललना राग तान नव अनुरागमे सकल चराचर रे !
सजि गेल आशक पात सजल भोग छप्पन रे
ललना करथि पुरुब अभ्यास देखब कोना नेनपन रे !
गुरुजन गुनल सुदिन दिन सीता भवप्रीता रे
ललना पसरत मिथिलाक नाओं ई जगत पुनीता रे !
गीतकार ✍शिव कुमार झा टिल्लू

कोई टिप्पणी नहीं