अहिं पर ध्यान सजनी हे लागल रहय य - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अहिं पर ध्यान सजनी हे लागल रहय य

अहिं पर ध्यान सजनी हे लागल रहय य 



✍ वी.सी .झा "बमबम"

अहिं पर ध्यान सजनी हे लागल रहय य !
चैन सदिखन अहाँ बिनू भागल रहय य !!

दिन तऽ कहुना - कहुना कटियो जय य !
राति - राति टक - टकी लागल रहय य !!

जाहि छन बात अहाकँ मोन ओ परय य !
हिय हमर अहाँ बिनू भेल पागल रहय य !!

क्षण - क्षण गिनैत आब इ भदेश कटय य !
अहाँ'क सिनेह हिय सतत् जागल रहय य !!

करब कि हे हिय जारि एतय रहऽ परय य !
'चन्द्र' इजोर पायव हम से साजल रहय य !!

✍ वी०सी०झा"बमबम"
                                कैथिनियाँ

कोई टिप्पणी नहीं