सिरहाके मिर्चैयामें बस आ ट्रक ठोकर से तीन गोटे के घटनास्थलमें मौत,आ दर्जन से बसी घायल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सिरहाके मिर्चैयामें बस आ ट्रक ठोकर से तीन गोटे के घटनास्थलमें मौत,आ दर्जन से बसी घायल

सिरहाके मिर्चैयामें बस आ ट्रक ठोकर से तीन गोटे के घटनास्थलमें मौत, और दर्जन से बसी घायल

✍अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला ।सिरहा, ०४ गते  कार्तिक । सिरहाके मिर्चैयामें रात्री बस आ ट्रक एक दोसर में ठोइक के ३ गोटे के  घटनास्थलमें मौत भेल अछि। काकरभिटा सँ काठमांडौ जारहल  ना ५ ख ४८९९ नम्बरके मकालु बस आ ओनिसे आरहल  ना ३ ख ४१३० नम्बरके ट्रक राइत करीब १२ बजे मिर्चैमाके कृषि बिकास बैंक अगाडी एक दोसर में ठोइक के ३ गोटे के घटनास्थलमें मौत भेल अछि आ एक दर्जन से बेशी यात्रु घायल भेल छै । घायल में से ३ गोटे के अबस्था गम्भिर रहल स्थानिय में  उपचार सम्भब नैभेल तब थप उपचारके लेल बिराटनगर रेफर केने अछि । आ थोरे चोट पटक लागल के  मिर्चैयाके रेखा नरसिंग होममें उपचार भरहल ट्राफिक प्रहरी पोष्ट मिर्चैयाके ट्राफिक प्रहरी नायब निरिक्षक शिब नारायण कुमर दनुबार जी जानकारी देलक । घटना के सम्बन्धमें थप बिबरण आबैले बाँकी रहल अछि ।

#अपन_मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं