मैथिली हास्य लोकगीत... - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिली हास्य लोकगीत...

*मैथिली हास्य लोकगीत...*
✍ सूरज भारती 

*हमर सासुरक महिमा महान यौ, खुब मानदान होईया.*
*हरदम रहि आब सासुरे मे हम यौ, मोन मे पलान होईया..*
*हमर सासुरक महिमा महान यौ, खुब मानदान होईया...*

*भोरे जे सुईत कऽ उऽठी, दुधक गिलास भेटैया.*
*हमरो तऽ हरदम भैया, एकरे तलाश रहैया..*
*खीर पुरी आ तरकारी सँ, रोजो जलपान होईया.*
*हमर सासुरक महिमा महान यौ, खुब मानदान होईया...*

*ससुर के कमाई पर मे, यौ भैया हम जीबै छी.*
*आब तऽ छप्पन भोगक, सब दिन भोजन करै छी..*
*कनिया हमर लक्ष्मीनिया यौ, हमरा पर जान मऽरैया..*
*हमर सासुरक महिमा महान यौ, खुब मानदान होईया..*

*साईर छथि हमर रशिली, सरहोईज सेहो कटिली.*
*साउस आ सार दिलदार, रहै छी मिली जुली..*
*सूरज भारती अमोद भैया यौ, सासुरक बखान करैया.*
*हमर सासुरक महिमा महान यौ, खुब मानदान होईया...*

                    *गीतकार - सूरज भारती
(8674940513)*


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷




✔🚩

🚩✔

कोई टिप्पणी नहीं