छठ पावैन में प्रयोग होइवाला समान के भाऊ तीन गुना बढ़ल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

छठ पावैन में प्रयोग होइवाला समान के भाऊ तीन गुना बढ़ल

छठ पावैन में प्रयोग होइवाला समान के भाऊ तीन गुना बढ़ल


अशोक कुमार सहनी ,।अपन मिथिला
१९ कात्तिक  | लहान – छठ पावैन में प्रियोग होइवाला समानसब के भाऊ आकास छूने अछि आ गाहक सब सेहो मारमें परल अछि ।

छठ पावैन में प्रसादके रुपमें प्रयोग होइवाला केरा, नरिवल, उइख, मुरैय, कागती नेमो, स्याउ, सुन्तला, सख्खरके साथ  बाँस सँ बनल ढकिया,दौरा, कोनियाँ आ माईंट के घैला, कोशिया-कुँवर , ई समानसब के भाऊ तीनगुना बढल अछि ।

ई सामान सबके भाऊ बढ़ल तैयो प्रसाशन आ सम्बन्धित निकाय कोनो धियान  नै देने अछि गाहक सब के कहनाम अछि ।

पावैन के मौका देख के बजारमें व्यापारी  सामानके भाऊ जतेक मोन भेल बढ़ा के लेलक  अनुगमन करै लवाल आ कारबाही करैवाला निकाय मुह देखा बनल अछि सिरहा नहरा रिगौलके शंकर यादवके आरोप अछि ।

सुरुज अराधना कके मनाबै वाला ई पावैन के तयारी सिरहामें बहुत जोर सोर सँ भरहल अछि । दसहरा आ दियावाती खत्म भेल तब्  अस्थनीयवासी सब छठ पावैन केलेल पोखैर , नदी डबरा, साफ सुधरा करैके आ पूजाघाट बनाबै में व्यस्त भेल अछि ।उसब सिरहाके प्रमुख जलाशय, पोखरी महार पर पूजाघाट बनाबै के  सजाबौ के काम में जुटल अछि ।


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
✔✔✔
🌷


🌷

कोई टिप्पणी नहीं