सामा पावनिक समापन आई, घर–घरमे विशेष तयारी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सामा पावनिक समापन आई, घर–घरमे विशेष तयारी

सामा पावनिक समापन आई, घर–घरमे विशेष तयारी


सुजीतकुमार झा
जनकपुरधाम


भाईके दीघार्युक लेल बहिनसभद्वारा मनाओल जाएवला मिथिलाञ्चलक प्रमुख पावनि सामा चकेबाक आई समापन भऽ रहल अछि ।
छठि पावनिक खरनादिनसँ शुरु भेल ई पावनिक क्रममे माटिक मूर्ति बना
प्रत्येक राति सामा चकेबाक महिलाहरु पूजा करैत छलथि । एकरा खेल सेहो कहल जाइत अछि । माटिक सामा चकेबाके पूर्णिमाक राति पूजाकऽ खेतमे भसावएके चलन रहल अछि ।
 जनकपुरमे गंगासागरक पूरब दिस मोहारपर भसाओल जाइत अछि । समापनक घर घरमे विशेष तयारी भऽ रहल अछि ।



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🚩🚩🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🚩🚩🚩


🌷🌷🌷🚩🚩

कोई टिप्पणी नहीं