विद्यापति पुरस्कार कोष मौन किए ?(बिचार) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

विद्यापति पुरस्कार कोष मौन किए ?(बिचार)

विद्यापति पुरस्कार कोष मौन किए ? (बिचार)


✍अशोक दत्त

कातिक धवल त्रयोदशीक दिन विद्यापति पुरस्कार कोषद्वारा घोषण कएल गेल पुरस्कार मध्य अनुसन्धानक पुरस्कार डा. वीरेन्द्र पाण्डे जीकेँ कथीक अनुसन्धान वास्ते देल गेलैन्हि, मुरलीधर जीकेँ देल गेल अनुवादक पुरस्कार कोन किताबक अनुवादक लेल देल गेलैन्हि, मैथिलीक कोनो किताबक अन्य भाषामे अनुवाद छैक वा अन्य भाषक किताबक अनुवाद मैथिलीमे ? तहिना अवधेश पोखरेल जीके पाण्डुलीपि पुस्कारक ले चयन कएल गेलैन्हि से पाण्डुलीपि कोन छैन्हि ? एहि सम्बन्धी पत्रकार, मैथिली अभियानी आ विद्वान लोकनिक जिज्ञासाके जबाब एखनधरि विद्यापति पुरस्कार कोष वा ओहि कोष्द्वारा गठित निर्णायक समिति किए नइँ दऽ रहल अछि ? विद्यापति पुरस्कार कोष किए मौन अछि । ज्ञातव्य जे पुरस्कार कोषक संयोजक विजय दत्त जी छथि आ पुरस्कार कोषद्वारा गठित निर्णायक समितिक संयोजक श्री रामहृदय प्रसाद आ सदस्यसभमे श्री रामसागर पण्ति, श्री महेन्द्र कुमार मिश्र, डा. आशा सिन्हा आश्रीमती श्यामा महतो रहथि, सभ एखनधरि एहि प्रश्नक जबाब देबामे विलम्ब किए कऽ रहल छथि ?
सूत्रसँ जानकारी अनुसार स्वयं मुरलीधर जीक कहब छैन्हि जे ओ कोनो पुस्तकक अनुवाद नइँ कएने छथि, तहन अनुवादक वास्ते पुरस्कार किए ?


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷




🚩🚩🚩🚩🚩🚩

कोई टिप्पणी नहीं