चल रे बौआ गाम चल
चल रे बौआ गाम चल
*****************
✒✍अनूप सत्यनारायण झा
चल रे बौआ गाम चल
लेने भगवतीक नाम चल
चल रै बौआ गाम चल.......
मुम्बई दिल्ली सबतईर घुमलैँ
बड़का छोटका खोता बुनलैँ
देहो दऽ रहल जवाब छौ
समय लऽ रहल हिसाब छौ
केने सबके प्रणाम चल
चल रै बौआ गाम चल..........
बस बिट्टी गाछी खेत पथार
गामो पर लगईछै हाट बजार
टाका पईसा कत्तौ भेटतौ
मेहनत करबैँ तऽ अत्तौ भेटतौ
बचबैत अप्पन सम्मान चल
चल रै बौआ गाम चल........
माय बाबूक त्याग सँ बनल पुष्ट देह
परदेश आबि बिसरलैँ तु माटिक नेह
कने आओरक फेर मे समय रहलौ बीत
बाबा दाई के मुईलो पर कोना नञि फटलौ चीत
भविष्यक केने ध्यान चल
चल रै बौआ गाम चल............
तोरे मेहनत सँ प्रकाशित संसार
मुदा गाम में अक्खनो कुप अन्हार
गाम घर संगी साथी बजा रहल छौ
इजोतक सपना सजा रहल छौ
अन्हारक लेने निदान चल
चल रै बौआ गाम चल..............
लेखकः✒✍अनूप सत्यनारायण झा
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:-अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
✔
✔
*****************
✒✍अनूप सत्यनारायण झा
चल रे बौआ गाम चल
लेने भगवतीक नाम चल
चल रै बौआ गाम चल.......
मुम्बई दिल्ली सबतईर घुमलैँ
बड़का छोटका खोता बुनलैँ
देहो दऽ रहल जवाब छौ
समय लऽ रहल हिसाब छौ
केने सबके प्रणाम चल
चल रै बौआ गाम चल..........
बस बिट्टी गाछी खेत पथार
गामो पर लगईछै हाट बजार
टाका पईसा कत्तौ भेटतौ
मेहनत करबैँ तऽ अत्तौ भेटतौ
बचबैत अप्पन सम्मान चल
चल रै बौआ गाम चल........
माय बाबूक त्याग सँ बनल पुष्ट देह
परदेश आबि बिसरलैँ तु माटिक नेह
कने आओरक फेर मे समय रहलौ बीत
बाबा दाई के मुईलो पर कोना नञि फटलौ चीत
भविष्यक केने ध्यान चल
चल रै बौआ गाम चल............
तोरे मेहनत सँ प्रकाशित संसार
मुदा गाम में अक्खनो कुप अन्हार
गाम घर संगी साथी बजा रहल छौ
इजोतक सपना सजा रहल छौ
अन्हारक लेने निदान चल
चल रै बौआ गाम चल..............
लेखकः✒✍अनूप सत्यनारायण झा
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:-अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
✔
✔

कोई टिप्पणी नहीं