भैया छीन लेलखिन (सामा गीत मैथीलि)
-----भैया छीन लेलखिन ।
✍मैथिल प्रशान्त
चिकनी माइटसँ, सामा बनेलियै यै भौजी ।
काँचहि बाँस लेल, टाका गनलियै यै भौजी ।।
डाला मढाओल अगबे सोन, भैया छीन लेलखिन ।
केलियै अहाँ बड़का टोन, भैया छीन लेलखिन ।।
एखन त' डाला छिनला, बुझू दरदिया भौजी ।
करबै की अहाँ कहू, ल' औता ननदिया भौजी ।।
बढले जेतैन हुनक मोन, भैया छीन लेलखिन ।
सभ सखी हिलि मिलि, घरसँ बहरेलौं जखने ।
कहाँसँ आबि गेला, भैया दुलरुआ तखने ।।
उपेय करियौ कोन , भैया छीनलेलखिन ।
भैया ने एहन रहथि, सभटा सिखेलयनि अहाँ ।
कोनो गुरुआइन जँका, की की पढेलयनि अहाँ ।।
डालाक बदला देब फोन, भैया छीन लेलखिन ।
~> ✍मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤
🔵
✍मैथिल प्रशान्त
चिकनी माइटसँ, सामा बनेलियै यै भौजी ।
काँचहि बाँस लेल, टाका गनलियै यै भौजी ।।
डाला मढाओल अगबे सोन, भैया छीन लेलखिन ।
केलियै अहाँ बड़का टोन, भैया छीन लेलखिन ।।
एखन त' डाला छिनला, बुझू दरदिया भौजी ।
करबै की अहाँ कहू, ल' औता ननदिया भौजी ।।
बढले जेतैन हुनक मोन, भैया छीन लेलखिन ।
सभ सखी हिलि मिलि, घरसँ बहरेलौं जखने ।
कहाँसँ आबि गेला, भैया दुलरुआ तखने ।।
उपेय करियौ कोन , भैया छीनलेलखिन ।
भैया ने एहन रहथि, सभटा सिखेलयनि अहाँ ।
कोनो गुरुआइन जँका, की की पढेलयनि अहाँ ।।
डालाक बदला देब फोन, भैया छीन लेलखिन ।
~> ✍मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤
🔵

कोई टिप्पणी नहीं