मिथिला-मैथिलीक 23 गोट सशक्त चेहराकें भेटतनि मिस्पान मैथिल पर्सन आॅफ द ईयर-2016 - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मिथिला-मैथिलीक 23 गोट सशक्त चेहराकें भेटतनि मिस्पान मैथिल पर्सन आॅफ द ईयर-2016

मिथिला-मैथिलीक 23 गोट सशक्त चेहराकें भेटतनि मिस्पान मैथिल पर्सन आॅफ द ईयर-2016




अपन मिथिला, सामाजिक गतिविधिमे एक दशकसँ सक्रिय संस्था मिथिला सोसाइटी फॉर पिपुल्स एक्शन एण्ड नेटवर्क (मिस्पान) आगामी 28 जनवरी 2017 कें नई दिल्लीक फिक्की ऑडिटोरियममे एक सम्मान समारोहक आयोजन करए जा रहल अछि, जाहिमे मैथिली आ मिथिलाक विभिन्न विधासँ जुड़ल 23 व्यक्तित्वकेँ सम्मानित कएल जायत। संस्थाक सचिव प्रोफेसर नितेश कर्ण जानकारी देलनि अछि जे सम्मानक अन्तर्गत अंगवस्त्र, प्रशस्ति पत्र, प्रतीक चिन्ह आ नगद राशि प्रदान कएल जायत।
इ अछि मिस्पान पर्सनालिटी ऑफ द ईयर 2016 केर सूची
1.धीरेन्द्र प्रेमर्षिः बस्तीपुर, सिरहा (नेपाल मिथिला) हेल्लो मिथिलाक चर्चित व्यक्तित्व, गीत-संगीतकार, साहित्यकारकें लाइफटाइम एचिवमेण्ट अवाॅर्ड
2.बीरबल झाः सिजौल, मधुबनी, ब्रिटिश लिंग्वाक निदेशक आ मिथिलालोक आ पाग बचाउ अभियानक परिकल्पक आ सूत्रधार
3 नरेन्द्र झाः कोईलख, मधुबनी, प्रसिद्ध बाॅलिवुड अभिनेता आ 2015-16मे बहुत रास हीट फिल्म देनिहार
4 अनिल पतंगः बेगूसराय, प्रसिद्ध लोक नाटककार, चर्चित फिल्म जट जटिन क निर्माता
5 ललित नारायण झा, मैलाम, मधुबनी, चर्चित पत्रकार, मिथिला मिररक सम्पादक रूपमे निरन्तर मैथिली पत्रकारिताकें नव आयाम देनिहार
6 कुणालः पटना, मैथिलीक चर्चित रंगमंचक भंगिमाक प्रसिद्ध निर्देशक,
7 नितीन चन्द्राः चम्पारण, पहिल बेर राष्ट्रीय फिल्म एवार्डसँ सम्मानित मैथिली फिल्म मिथिला मखान’क निर्देशक
8 राकेश कुमार मिश्रः बनगाँव सहरसा, वरिष्ठ आइपीएस अधिकारी, वर्तमानमे सीआरपीएफ मे आईजीक पद पर कार्यरत्त आ मैथिलीसेवी
9 अमरनाथ मिश्राः मर्यादा आ मिथिला गृह उद्योगक स्थापना आ मैथिल उत्पाद के प्रसार
10 रूपा झाः नेपाल ,प्रसिद्ध रेडियो कार्यक्रम हेल्लो मिथिला’क सह प्रस्तोता रूपमे प्रसिद्धि
11 रंजना झाः देवीगंज, अररिया, मैथिलीक चर्चित गायिका
12 माधव रायः धरौड़ा, दरभंगा, मैथिलीक चार्चित गायक आ वर्तमानमे मंच पर सब सं बेसी पसीन केनिहार गायक
13 किसलय कृष्णः मैथिली मंचक सार्थकता पूर्ण उद्घोषणा लेल चर्चित युवा रचनाकार फिल्मकर्मी
14 जानबी झाः सीतामढ़ी, मैथिली मंचक नवीनतम आ उत्कृष्ट सहउद्घोषिका
15 प्रवीण नारायण चैधरीः विराटनगर, समर्पित मिथिला अभियानी
16 भोगेन्द्र शर्मा निर्मलः लछमिनिया, सहरसा, विद्यापति धामक जीवनदानी
17 सोनिया झाः दरभंगा, चर्चित रंग अभिनेत्री
18 अमित मिश्रः समस्तीपुर, चर्चित युवा रचनाकार
19 अनुज कुमार झाः रहुआ, मधुबनी, मैथिली वैकल्पिक विषय संग पहिल बैचमे 2008 मे सफल एक मात्र युवा, सम्प्रति यूपी कैडरमे आइ ए एस
20 रजनी झाः दरभंगा निवासी आ मैथिली भाषा सं संघ लोक सेवा आयोग परीक्षा पास केनिहारइर प्रथम महिला/लड़की
21 अनुरिता झाः बाॅलिवुड अभिनेत्री सह मिथिलाक पहिल राष्ट्रीय पुरस्कार सं सम्मानित फिल्म मिथिला मखानक मुख्य नायिका
22 संजीव शिन्हा, सीतामढ़ी, मैथिली आंदोलनी
23 रामबाबू सिंह, मधुबनी, मिथिला मैथिलीमे हालहि सक्रिय भेल नव नाम



न्यूज साभार :- अजीत कुमार (मिथिला मिरर)

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं