सुनु सुनु यौ मिथिलाके नव जवान - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सुनु सुनु यौ मिथिलाके नव जवान

सुनु सुनु यौ मिथिलाके नव जवान


✍👤धनेश्वर ठाकुर

सुनु सुनु यौ मिथिलाके नव जवान
बिसरी रहल छी माटिक पहिचान

रमैत  झमैत  रहु सभटा  भाषामे
मैथिलीतँ अपन छै बुझु नहिं आन

भलही बदलिलु पहिरन पोसाक
मुदा अपन पगडी छै अलगे सान

कतबो दुर छी अहाँ तँ कि भेलै मीत
करियौ अपना   माटिकें   गुनगान

छोडी दियौ अहाँ दारु तारी आ बियर
जतकें लोक अहाँ ओत भेंटै छै पान

...........धनेश्वर ठाकुर ........
धनुषा धाम 4 लक्ष्मीपुर 
हाल मरूभुमी देश दोहा 
.........कतार.........

❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं