🌻मैंथिली नारा 🌻 - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

🌻मैंथिली नारा 🌻

🌻मैंथिली नारा 🌻



  गीतकार - आनंद मिश्र "मिलन"

 अपन हाथ जय जगरनाथ 
बइसल किया धेने माथा हाथ 
आत्म बल स सब कियो उठु
 मिल के दियो मैंथिल साथ ।

कि होयत यो खाली केने हल्ला 
मंगला स कि भेटत मिथिला 
अधिकार अपन ल के रहबन 
बड़ दिन भेल योअ चुप रहला ।।

सत्य अहिंसा स के नेय जितलेय 
मैंथिल सपूत आब क्रिया खेलकेय 
माँ मैंथिली के सम्मान दियेबन 
स्वाभिमान लेल के नेय लड़लेय ।।।

कहिया धरि हम बिहारी कहेबेय 
आस मन में मिथिला वासी बनबेय  
जाति पात सब मिल के तोड़बन 
अपन पहचान मिथिलानचल करेबेय ।।।।

✍👤आनंद मिश्र 'मिलन'
लालपूर, सिंहवाडा, दरभंगा।


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं