बाबा_याज्ञवल्क्य_ऋषि___
#बाबा_याज्ञवल्क्य_ऋषि___
✍👤रोशन मिश्रा
हम मिथिला केर बेटा छी
बाबा याज्ञवल्क्य संतान ।
जन्म भेल पावन नगरी में
मैथीलीत्व हमर पहचान ॥
माँ सीता स्वयं बेटी बनली
पाहुन बनि ऐलाह श्री राम ।
सब स सुंदर भाषा मैथिल
एही बातक अछि गुमान ॥
सूगा सेहो वेद पढैत छल
कलिया बनल ओतै विद्वान ।
बागमती , महानँदा बहैया
बहैया कमला कोसी बलान ॥
ओहि नगर केर वाशी छी हम
छी माँ मिथिला केर संतान ।
मिथिलाधाम के कट्टर मैथिल
हे !! जगवन अछि हमर गाम ॥
✍👤 Roshan Mishra
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :-अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
👤👤👤👤👤👤

कोई टिप्पणी नहीं