शिव-गौरी विवाह गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

शिव-गौरी विवाह गीत

शिव-गौरी विवाह गीत
(मनाईन-नारद संवाद)


****************
बूढ़ वर बरद सवार हे नारद ! धीया सुकुमारी
बाघछाल मुंडक हार हे नारद! करियौ विचारि।

तेसर आँखि कतहु नहि देखल
ई बौरायल वर किए आनल
भस्म लगौने ठाढ़ हे नारद! धीया सुकुमारी।
बूढ वर.......॥

कोन कूलक छथि से नहि बूझल
मोर गौरी लेल ईह वर सूझल
साँप करै फूफकार हे नारद! धीया सुकुमारी।
बूढ़ वर.......॥

त्रिलोचन तीनू लोकक स्वामी
सती कें शिव भेंटल ई जानी
आनल सोचि विचार मनाईन! छथि उपकारी।
बूढ़ वर......॥

असुर सभ मिलि सुरपुर कें जीतल
परयला ब्रह्मा विष्णु सूतल
हरसुत करता उद्धार मनाईन! करल गोहारि।
बूढ़ वर.......॥

बूढ वर बरद सवार हे नारद! धीया सुकुमारी॥
           ""हर हर महादेव""
         ****************
     :------ राजेश मोहन झा "गुंजन" 


❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤







✔✔✔✔

कोई टिप्पणी नहीं