बिना तिलकके बेटि कोना व्याहव रे कि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बिना तिलकके बेटि कोना व्याहव रे कि

बिना तिलकके बेटि कोना व्याहव रे कि


फोटो गायिका अंजू यादव जी
✍👤हरि शंकर सिंह ठाकुर 
केहन समैया एलै बेटि बलैया भेलै
कि आहो रामा.........
बिना तिलकके बेटि कोना व्याहव रे कि

चिन्ह अनचिन्हार भेलै
मिथिला समाज भेलै
कि आहो रामा....
कियो नै माय के दुखड़ा बूझै रे कि
बिना तिलकके बेटिकोना.........

जिनका नै मूँह कान
तिनक दू लाख दाम
कि आहो रामा......
कहमा सँ लाखक पतिया लायब रे कि
बिना तिलकके बेटि कोना.........

घुमैत फिरैत तन
व्यथित बापक मन
कि आहो रामा........
केहन करम विधना लिखल रे कि
बिना तिलकके बेटि कोना. ........

कहथिन हरि  आजु
सुनु मिथिला के बाबू
कि आहो रामा........
दहेजअभिशापथिक
अलख जगाबथि रे कि
बिना तिलक के बेटि कोना......
केहन समैया एलै बेटि बलैया भेलै
कि आहो रामा........
बिना तिलकके बेटि कोना व्याहब रे कि

✍👤हरि शंकर सिंह ठाकुर



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं