दहेज बेटिक अधिकार - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दहेज बेटिक अधिकार

।। बीहनि  कथा ।।

दहेज बेटिक अधिकार 

✍👤प्रभात पूनम

लाल बौआ :- हे यौ बौआ काका , एगो गप करबाक छ्ल अहा स ! 
काका:- कि गप कह ने झट स ...

लाल बौआ :- आइ काइल्ह दहेज मुक्त मिथिला ,दाइजो उन्मुलन , दहेज एक अपराध ,दहेज समाजक कलन्क आर नहि जानी कि कहादिन सभक नारा  बड जोर सोर
 स लाइग रहल छै !

काका:- ह रौ हम्हु इ सब देख क बड अच्म्भित भेल थिकहु , भगवानक कृपा स चाइर गो बेटा के बाप छि हम,  मोने मोन सोचने छल्हु जे बेटाक बिआह मे बेटिबाला के डार सरका क  खुब पाई ऐठब मुदा इ दहेज बिरोधी सब त...... गेल भैस पाइन मे बाला कथनी क देलक !

लाल बौआ:- धु .......तोरि के ,काका तोहु ने अनेरे चिन्ता मे पैर गेलाह !

काका:- त तोहि कह ने झट स........जे आब दहेज कोना लेल जाए !

लाल बौआ:- आइ हौ काका ......हम सब पैढ लिख घाँस छिल लेल बैसल छि कि ?

काका :- त कुनु जोगार लगाबे ने तब ने बुझबौ !

लाल बौआ:- एखन महिला अधिकार के बजार सेहो बड गर्म छै , तेह दहेज बेटिक अधिकार थिक ,दहेज महिलाक हक थिक  कहि कए हम पढल लिखल युवा  पत्रकार याह नाटक हेतु कलाकार बैन जाइछी !  आ जत जत आदर्श बिआह वा दहेज मुक्त मिथिलाक वाद साम्बाद हेतै  हम वहि ठाम दहेज  कए बेटिक अधिकार सङ जोईर देबै आ बड चलाकी पुर्वक लोक सभ के दिगभ्रमित क देबै अहा जुनि चिन्ता करि  ।
आब कहु केहन लागल हमर योजना !

 काका :- वाह वाह सच मे तु कलाकार छे नुनु।

लेखकः ✍👤प्रभात पूनम


🌷🌷🌷🌷🌷🌷👇🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤


❤❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं