आय लगइत अछि मिथिला मिथिले सन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आय लगइत अछि मिथिला मिथिले सन

आय लगइत अछि  मिथिला  मिथिले सन 


✍👤 वी०सी०झा"बमबम"

आय लगइत अछि  मिथिला  मिथिले सन !
नवका चूरा गम - गम करैत अछि सबठन !!

भोरहि बड़का कक्का  मूठ कतरलनि धन !
आय बुझना जाइत  आयल अछि अगहन !!

खापरि  मुका धान  लारनि पर मारहि झन !
टेकुरा - समाठ  चलए  ऊखड़ि मेऽ एखन !!

धूआं-धुकूर भेल अछि चिनवारे पर अगिन !
चूरा-दही गूर मूर सब छथि खयवा मे मगन !!

हर्खित मोने काज मे लागल छथि सब जन !
कहथि 'चन्द्र' एहने मिथिला रहैत सदिखन !!
लेखकः✍ वी०सी०झा"बमबम"


✍👤 वी०सी०झा"बमबम"
                                  कैथिनियाँ

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



👤✔✔✔✔✔


👃👃👃👃

😈

कोई टिप्पणी नहीं