सरकार,ओ शहिद के कथि जवाफ देबही? - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सरकार,ओ शहिद के कथि जवाफ देबही?

#गजल
सरकार,ओ शहिद के कथि जवाफ देबही?


✍👩Pu Za kashyap 

समय नतमस्तक अछि हमर पहिचान देखि
क्रन्दन रोदन बीच हमर मुस्कान देखि ।

कवि आ गजलकार भट्टिए मे भेटैत अछि
मदिरा मे तनाव आ दुखक निदान देखि ।

कियो देशक विधाने जरा देलक
सदैत भ्रष्ट आ दोषी के सम्मान देखि ।

सरकार,ओ शहिद के कथि जवाफ देबही?
मारल गेलाह बिन भिन्सरबिहान देखि ।

पपीयहबा न्यायधिश फैसले नहि सुनौलक
कठ्घरा मे दोषी अपने सन्तान देखि ।।

✍👩Pu Za kashyap 


🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
  पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤



❤❤❤❤❤❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं