बेटी होनाइ पाप छला तँ किए हमरा जन्मैलियै यौ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बेटी होनाइ पाप छला तँ किए हमरा जन्मैलियै यौ

बेटी होनाइ पाप छला तँ किए हमरा जन्मैलियै यौ


✍👤दिनेश महरा

बेटी होनाइ पाप छला त किए हमरा जन्मैलियै यौ!
सोइरिए घर मे नुन चटाक किए नै मारि देलियै यौ!!

पढ' जएबाक मन  छल हमर किए नै जाइ देलियै यौ!
डाक्टर इन्जिनियर बनबाक छल हमरा किए नै बने देलियै यौ!!

देखने छलौ बड बड सपना एक्को नै पूरा भेल यौ!
सोचने छलौ जे बड्का बैनतौ कुछ नै पूरा भेल यौ!!

१२ बर्ष मे बियाह काराक किए हमरा फसैलियै यौ!
दुलहा खरिद, सोन चानी द क किए पराइ  कैलिइयै यौ!!

बेटा सं प्रेम क' क' बेटी के दुर किए कैलियै यौ!
कोन गल्ती छल हमर जे अतेक दूर हमरा कैलियै यौ!!

                                          ✍👤दिनेश महरा
                           सुगा मधुकरही ( धनुषा )
                                 हाल:  दोहा कतार

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं