सुनू मिथिला के ललना ! - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सुनू मिथिला के ललना !

सुनू मिथिला के ललना !


✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"

********************************
अप्पन मधुभास केँ बचबियौ औ सुनू मिथिला के ललना
कोकिल स्वर मंच सँ सुनबियौ औ सुनू मिथिला के ललना !
परजा सुस्वादु किए भलगर गबै छी
किछु लोकक चित्तक लेल गारि सुनबै छी
सरस सरल सौंदर्य बनबियौ यौ सुनू मिथिला के ललना !
हमरोसँ आगाँ छनि बंगक संस्कृतिमंच
संगीत रवीन्द्र नाम तखन रहथि संचमंच
मॉडर्न बनू फूहड़ने गबियौ यौ सुनू मिथिला के ललना !
कोकिलकेँ छोड़ि दियौंन आन मंच हेरू
स्मृतिके नामपर ने अत्माकेँ पेरू
विद्यापति नाम ने डुबबियौ यौ सुनू मिथिला के ललना
मंचेपर मातृभास नीचामे बिसरल
घ'रोमे अपन छोड़ि दोसर केँ अरजल
ऊपरेसँ प्रेम नहि देखबियौ यौ सुनू मिथिला के ललना !
बदलल युग ग'छै छी पॉप के जमाना
ओहूठां जरूरी नहि भलगर के ताना
नवधुनमे नवगुण मिलबियौ औ सुनू मिथिला के ललना !
अंतिम बेरुक ई आहि फेरो ने कहबै
याचनाक बाट छोड़ि अपने मे रहबै
" मैथिली " सन बालाकेँ बजबियौ यौ सुनू मिथिला के ललना !

✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🔵🔵🔵🔵🔵🔵🔵🔵🔵🔵🌷







🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं