ललनमा मैथिलि गीत
ललनमा मैथिलि गीत
१.मोन होअय हमहूँ खुएबतौँ
दूध भातक कटोरी🍚 यौ।
मोन होअय हमहूँ सुनैएबतौं
लला लला लोरी 🍭यौ।
दूध भातक कटोरी🍚 यौ।
मोन होअय हमहूँ सुनैएबतौं
लला लला लोरी 🍭यौ।
गूँजत कहिया अँगन किलकारी
सुन लागैए अँगनवां ⬜यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा🏃 यौ।
सुन लागैए अँगनवां ⬜यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा🏃 यौ।
२.चारिम साल चलि रहलैया बिआहक
किए नञ दैत छी ध्यनमा यौ।
खोखसा वाली जेठकी दीयादनि
आब 'द रहलैया उल्हनमा यौ।
सुलगाउ पिया अपन चिंगारी
बनल छी किए बैमनमा यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा यौ।
किए नञ दैत छी ध्यनमा यौ।
खोखसा वाली जेठकी दीयादनि
आब 'द रहलैया उल्हनमा यौ।
सुलगाउ पिया अपन चिंगारी
बनल छी किए बैमनमा यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा यौ।
३.माथक बिंदिया ठोरक लाली
बाट जोहैए कंगनवा यौ।
अहींक स्पर्शक प्यासल
बिलखैत मोर बदनमा यौ।
हमरो उपमा भेटैए माँ 'क
सत् होत कहिया सपनवा यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा यौ।
४.सदिखन एतबहि चिंता में
डूबल रहैए मोर मनवा यौ।
किए रहैए छी दुरे दूर
एहन कुन करनमा यौ।
गलति-सलति माफ़ करब पिया
पकड़ि रहल छी चरनमा यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा यौ ।
बाट जोहैए कंगनवा यौ।
अहींक स्पर्शक प्यासल
बिलखैत मोर बदनमा यौ।
हमरो उपमा भेटैए माँ 'क
सत् होत कहिया सपनवा यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा यौ।
४.सदिखन एतबहि चिंता में
डूबल रहैए मोर मनवा यौ।
किए रहैए छी दुरे दूर
एहन कुन करनमा यौ।
गलति-सलति माफ़ करब पिया
पकड़ि रहल छी चरनमा यौ।
प्रेमक बगिया खिलतैए कहिया
कहिया आबथि ललनमा यौ ।
✍👤 सुधीर सिंह
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं