सरस्वती वंदना - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सरस्वती वंदना

👃सरस्वती वंदना👃

✍👤सुमित मिश्र "गुंजन"
धवल वसन कर वीणा शोभित
हंस सवार भ' आबू हे
सगरो छै अज्ञान अन्हरिया
ज्ञानक दीप जराबू हे

माया मोहमे भासलहुँ जननी
हमरो कात लगाबू हे
कलम बनय पहचान शारदे
गामे- गाम बिराजू हे

हवा वसंती सिहकय मद्धिम
वसंतराज करय स्वागत हे
संपूर्ण बाटमे पुष्प बिछौने
ठाढ़ पूत सभ आगत हे

आबू-आबू मातु सरस्वती
दर्शन क' नयन जुरायब हे
तोरे चरणमे बैस शारदे
नव- नव वंदन गायब हे

लेखक ✍👤 सुमित मिश्र 'गुंजन'
    00 91 8434810179


🌻🌻🌻🌻🌻💟💟🌻🌻🌻💟🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷




🌷🌷🌷❤❤❤💚

कोई टिप्पणी नहीं