की कहाँ लिखि देलहुँ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

की कहाँ लिखि देलहुँ

की कहाँ लिखि देलहुँ 


✍💗मैथिल प्रशान्त 

की कहाँ लिखि देलहुँ मोनक देवाल पर 
बिहुँसति  छी आब अहूँ  हमर  हाल पर 

ठोर किछु कहबाक लेल बढलै कान दिस 
पारि देलहुँ  स्नेहसँ ई की दुनू   गाल  पर 

जीतिक' जे गेल रही दिल्ली दरबार अहाँ
रहिने जाउ दू चारि दिन भेटलहुँ साल पर 

झखरल भरोस मालदह बंबैयाक गाछसँ
कलकतिया आम एखनो अछि पाल पर 

हमर बेटीकेँ मोन छै इसकूलकेँ पाठ सभ  
थकमूरगी लागि जाइ सासुरक सवाल पर 

जिनगी पहाड़ सन ओह कतेक ऊँच छै 
एकटा लबनचूस चढि जैइयै हम टाल पर 

~> मैथिल प्रशान्त 
 दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

#कचकैए_मोन_हमर।


💟💚💟💚❤💚💟💚❤💚💟💚❤💚💟💚💟
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻💗🌻💗🌻💗🌻💗🌻💗🌻💗🌻💗💗🌻🌷


💗🌻💗🌻💗💙👇💙👇💙🌻

कोई टिप्पणी नहीं