दोहा क़तारमें विद्यापति स्मृति पर्व सम्पन्न - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दोहा क़तारमें विद्यापति स्मृति पर्व सम्पन्न

दोहामे अनेसास-नबोदितके ६५ म शृङ्खला आ विद्यापति स्मृति पर्व सम्पन्न 


✍👤विन्देश्वर ठाकुर
कतारक अति चर्चित साहित्यिक संस्था -  अन्तर्राष्ट्रिय नेपाली साहित्य समाज,कतार च्यापटर आ नबोदित साहित्यिक वाचनालय कतार के संयुक्त आयोजनामे  १३/१/२०१७ शुक्र दिन टपफोर्म रेष्टुरेन्ट दोहामे अनेसास-नबोदितके मासिक वाचन शृङ्खलाक ६५ औं डबलीमे विद्यापति स्मृति समारोह मनाओल गेल। एहि दुनू संस्था सँ जुडल मैथिली सर्जक ओ साहित्यप्रेमी सबहक लगनशीलता आ समर्पण देखि स्र्ष्टाँक प्रस्तावनाके स्वीकार करैत समुच्चा सर्जकसब ई समारोह मनएबाक निर्णय केने छल । ज्ञातव्य अछि जे एहि सँ पहिने लक्ष्मी ज्यन्ती,मोति ज्यन्ती,पारिजात ज्यन्ती आदि मनबैत छल । मुदा इतिहासमे ई पहिल बेर भेल जे नेपाली साहित्यिक संस्था महान् मैथिल सर्जक ओ विभूती #महाकवि_विद्यापती बाबाक ५६८ औं स्मृति समारोह मनौलक। कार्यक्रम कें संचालन केने छलथि - कवि विन्देश्वर ठाकुर जी आ विशिष्ट श्रोता छलथि - इन्जिनियरिङ एसोसिएसनके vise president तथा हेल्प मधेशीक सेवक - वीरेन्द्र कुमार साह जी। 

शुरुमे विद्यापतिक तस्वीर पर फूलमाला अर्पण क' दीप प्रज्वलन भेल छल। तकराबाद नेपालक राष्ट्रगान आ तत्पश्चात गायक रवीन्द्र उदासी द्वारा महाकवि विद्यापति रचित गोसाओनीक गीत - जय जय भैरवि असुर भाअओनी" संग कार्यक्रम अगाडि बढल।  कार्यक्रममे ५० गोटे सँ बेसी व्यक्तिक उपस्थिती छ्ल। महाकवि विद्यापतिक जीवनी वाचन कएलनि - कवि शत्रुधन मुखिया जी। तहिना,मनिष राय,धनेश्वर ठाकुर,बेचन महतो,दिनेश कुमार,राम अधिन यादव,रामनारायण सिंह,उदगारी यादव तीर्थ संगम राई,सीताराम थापा, मणि पौडेल,दीप मिलन, चक्र कार्की,संतोष अधिकारी,बिनोद खड्का,राजन राई,प्रेम सापकोटा, बन्धु घिमिरे,शुभ सन्ध्या,श्यामराज राणाभाट,सुरेश भट्टराई,इश्वर साही,माधव पौडेल,युवराज गौतम,सेखर वस्नेत,प्रदिप गणेश लगायतके मैथिली  तथा नेपाली मिलाक' दू दर्जन सँ बेसी सर्जक सब अपन अपन रचना सुनौने छल। 

"हरेक महिनाक दोसर शुक्र दिन समयमे शुरु भऽ समयमे समाप्त होब बला ई कार्यक्रम एहिबेर मैथिली विशेष  भेल। एहि लेल गर्भक अनुभूति करैत छी। आ भविष्यमे सेहो अहिना निरन्तर प्रगति करैत रहे ई संस्था। एहि लेल अपना दिस सँ यथासम्भव हमहूं  सहयोग करब" से कहैत कार्यक्रम के विशिष्ट श्रोता वीरेन्द्र कुमार साह द्वारा समापन कएल गेल। 

✍👤विन्देश्वर ठाकुर


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷



🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं