💞 बीप्रेक 💘 संगम
💞 बीप्रेक
💘 संगम
✍👤वी०सी०झा "बमबम"
~ आब अपना सभ कैंऽ विवाह कय लेवाक चाही ! तोहर कि विचार छउ एहि पर राजा ?
~ हमहु तऽ सैह चाहि रहल छी जे जल्द संऽ जल्द अपना सभ एक भऽ जाए परंच अपन किस्मत मऽ कि लिखल से नहि कहि ?
~ लिखल कि रहतैक ? तोहर पप्पा जाँउ बेसी दहेज मंगथुन तऽ हमर बाबु कऽ केना देल हेतनि ? हमर बाबु त खेती कऽ परिवार चलबैत छथि ने तऽ टकाक व्योंत करब मोसकिल बुझ !
~ ओ दहेजक गप बुझ जे नहिए करताह किआक त ओ कतेको ठाम दहेजक विरोध करैत आवि रहला अछि ! जे दहेज लेनाइ आ देनाइ दुनू जूर्म छियैक ! तखन त हमर पप्पे छथुन हुनका पर कोनो विश्वास नहि हुनका "पर उपदेशे पंडितः" बला बात सेहो रहैत छन्हि !
~ हे मुदा किच्छ होइ ? जाँउ तोरा संग हमर विआह नहि होयत तऽ हम - - - - - -
~ धूर्र बताहि केहन बात ठोर पर अनैत छैं ? प्रेम मनुक्ख कऽ कि जनवरो के जिनाए सिखबैत छै आ तों - - - - नहि नहि एहन बात सोचबो नहिं कर !
तूं मात्र हमर संग टा दे तकर बाद त सभ ओहने हेतैक जेहन अपना सभ सोचबहि !
~ अप्पन सप्पत कहैत छियहु हम ता जिनगी तोर संग छियहु ! आ सिसकिआए लगलहि
~ तखन तऽ दुनू गोटेक संगम होयबा मे धारा परक कोनो बान्ह नहि रोकि सकैत अछि ! मात्र उचित अवसरक इंतजार छैक !
~ बेस ! हे आब जाइत छी ? देर होइत अछि !
~ हमर त मोन करैत अछि सदिखन हमर सोंझे मे रहि - - - - - मुदा हम एखन रोकियहु नहि पायब !
हाथक इसारा करैत दुनूू दुहू दिस चलि जाइत रहल !
✍🏻 वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
❤❤❤❤
👉

कोई टिप्पणी नहीं