हेल्प मधेसीद्वारा दोहा/कतारमे : पिकनिक-२०१७ तथा सेवक सम्मान कार्यक्रम सम्पन्न
हेल्प मधेसीद्वारा दोहा/कतारमे : पिकनिक-२०१७ तथा सेवक सम्मान कार्यक्रम सम्पन्न ।
-विन्देश्वर ठाकुर दोहा/कतार
०७/०१/२०१७
मिति २०१७/१/७ तारिक शुक्र दिन सहानियाक अल डोसरी पार्कमे हेल्प मधेशी कतार च्यापरद्वारा नव बर्षक उपलक्ष्यमे पिकनिक तथा सेवक सम्मान कार्यक्रम सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल । यातायातक व्यस्थाक कारणे दोहा,सनैया,अलखोर,ओखरा लगायत बहुतो ठाम सँ आएल मधेशी मित्रसबहक घना उपस्थिति छल ।
हेल्प मधेशीक परिचय व महत्व संग कवि विन्देश्वर ठाकुर जीक मंच संचालनमे शुरु भेल कार्यक्रमे हेल्प मधेशी दिस सँ देबेन्द्र ठाकुर,राम कल्याण महतो,राम सुभन यादव, गिरिधारी गुरमैता, अभय ठाकुर,विकास साह, विशेश्वर यादव लगायतके बक्तासब बाजल छलथि । तहिना हेल्प मधेशीक एक बर्षके कार्य विवरण आ भावी योजनाक सम्बन्धमे सेवक वीरेन्द्र कुमार साह जी द्वारा नीक सँ प्रकाश पारल गेल । हेल्प मधेसीक पोष्टरमे फोटो राखल गेल बिनोद मन्डल जीक विशेष उपस्थिति छल ।
ज्ञात्व्य अछि: हेल्प मधेशी एहन संस्था अछि जे देश सँ ल' क विदेशधरि दीन दुखीके सहयोग करैत आबि रहल अछि । एक दिस मधेश आन्दोलनमे सहादत प्राप्त केनिहारके बच्चासबके पढा रहल अछि त दोसर दिस कतारमे विभिन्न कारण सँ मृत्यु भेल मृतक परिवार सबहक लेल एक रियाल अभियान चलाक संकलित रकम पीडित परिवारधरि पठा रहल अछि । भर्खरे जाडके कपडा आ किछु अनुदान जनकपुरक बृद्धाश्रमे देलक अछि । एहन बहुतो नीक आ सहयोगी काजसब क' क सबके जनजनमे बैसल अछि ।
एहि क्रममे सदैव साथ सहयोग करैत रहब आ अहिना प्रगती करैत रहूं शुभकामना देलनि शिव कुमार महतो,मो. याकुब,मो.हुसैन खान(प्रवासी मधेश मंच दोहा/कतारके अध्यक्ष) मनिष राय,विश्वबन्धु यादव(प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा/कतार) ।
एकर अतिरिक्त कवि बेचन महतो,कवि धनेश्वर ठाकुर, कवि अशोक कुमार सहनी,गजलकार असरफ राईन,राम अधीन यादव,रवीन्द्र उदासी,राम नारायण सिंह आदि द्वारा गजल,गीत आ चुटकिला सब सँ मनोरंजन सेहो कराओल गेल ।
दोसर चरणमे एखन्धरि हेल्प मधेशीक लेल तन,मन,धन सँ सहयोग केनिहार २०० सँ बेसी सेवकसबके सम्मान, धन्यवाद तथा प्रमाण पत्र वितरण सेहो कएल गेल । सेवक विशेषसबमे संजय दास,गोबिन्द झा,सरजुग यादव, वीरेन्द्र साह,पवन ठाकुर,सतीश यादव आदिक उपस्थिति छल । प्रभात,महतो,शीवेन्द्र रोहिता,रामकुमार यादव ई सब नेपाल गेल छथि तथापी कतारमे रहिक हेल्प मधेसी क लेल केने सहयोगके कदर करैत यिनकोसबके स सम्मान प्रमाण पत्र देल गेल ।
तेसर चरणमे मुन्ना जीक अगुवाइमे एकटा खेल- क्रेजी रिले रेस कराओल गेल छल । तहिना बच्चासबहक लेल पेन्टिङ कम्पीटिसन सेहो भेल । एहिमे विजयी भेल सबगोटेके पुरस्कार आ प्रमाण पत्र वितरब कएल गेल ।
पिकनिकमे २५ रियाल टिकट राखल गेल छल । सबेरमे नास्तामे : मुरही,चुरा,घुघनी आ जुस देल गेल त खानामे - दालि-भात,तरकारी,तरुवा,पापड,चटनी आ दही/चिनी खुआएल गेल । पिकनिक सँ उबरल पैसा मधेशीक हित/सहयोगमे लगाओल जाएत से कहलनि -हेल्प मधेशीक सेवक विशेष ओ पिकनिक संयोजक इन्जिनियर वीरेन्द्र कुमार साह जी। समग्र रुपमे वनभोज खूब नीक रहल ।
हेल्फ़ मधेशी परिवार
✍👤विन्देश्वर ठाकुर
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻

कोई टिप्पणी नहीं