बेसाहकेँ विधि बेसाहल पावैन तिहार अछि
बेसाहकेँ विधि बेसाहल पावैन तिहार अछि
✍👤मैथिल प्रशान्त
आँगन असोरा बाँचल कहाँ चिनबार अछि
बेसाहकेँ विधि बेसाहल पावैन तिहार अछि
भावकेँ भूखल मनुख बिका रहलै दाम ल'
मोल नेहक लगा रहल अजब पैकार अछि
रजधानी डोला देबै बसि पानक दोकानसँ
छोड़ू भले भरना लागल खेत पथार अछि
घर अपनहि हाथसँ हम जरा रहलहुँ देखू
नीजगूत कहाँ दसगरदा भेलहुँ संसार अछि
की हेतै ल' क' मिथिला छी बिहारी भने
पैंचकेँ पहिचान ओढय से बुधियार अछि
एह दौनी के करत पसर की खोलब भोरमे
गुजर हमरो चलि जेतै जखन सरकार अछि
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
#अकाबोनमे
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻❤❤❤
❤❤❤❤
✍👤मैथिल प्रशान्त
आँगन असोरा बाँचल कहाँ चिनबार अछि
बेसाहकेँ विधि बेसाहल पावैन तिहार अछि
भावकेँ भूखल मनुख बिका रहलै दाम ल'
मोल नेहक लगा रहल अजब पैकार अछि
रजधानी डोला देबै बसि पानक दोकानसँ
छोड़ू भले भरना लागल खेत पथार अछि
घर अपनहि हाथसँ हम जरा रहलहुँ देखू
नीजगूत कहाँ दसगरदा भेलहुँ संसार अछि
की हेतै ल' क' मिथिला छी बिहारी भने
पैंचकेँ पहिचान ओढय से बुधियार अछि
एह दौनी के करत पसर की खोलब भोरमे
गुजर हमरो चलि जेतै जखन सरकार अछि
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
#अकाबोनमे
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻❤❤❤
❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं