अहीँ हंसवाहिनी छी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अहीँ हंसवाहिनी छी

👃अहीँ हंसवाहिनी छी 👃


✍👤धनेश्वर ठाकुर 

माँ सरस्वती दियौं अहाँ 
सबके बुद्धि,ज्ञान हे
अहीं हंसवाहिनी छी अहीँ ज्ञानक 
 भन्डार हे

बौवा,बुच्ची, सँ ल'क यहाँ बुढ़ बृद्धा. 
सबके ज्ञानक जोती बारैत रहू
सुनियौं सबके पुकार हे शारदे
सबके दुख सँ उबारैत रहू
वीणा, पुस्तक धारणी  करैछी 
कल जोइर क' हम प्रणाम हे
अहीँ हंसवाहिनी छी ...........

दियौं सबठाम सबके ज्ञान हे सरस्वती माँ
करियौं अहाँ सभक कल्याण हे  सरस्वती माँ
अछि अहाँ के महिमा महान हे 
सरस्वती माँ
दियौ अहाँ सब मित्रलोकनि के 
ज्ञान हे सरस्वती माँ 

✍  👤 धनेश्वर ठाकुर 
धनुषा धाम 4 लक्ष्मीपुर 
हाल मरूभुमी देश 
दोहा कतार




💗💚💗💚💗💚💗💚💗💚💗💚💗
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤💗❤💗❤💗💝❤💝❤💝❤💝




❤🔵❤💝🌻

कोई टिप्पणी नहीं