बेटा_बेटी_एक_समान____ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बेटा_बेटी_एक_समान____

👩बेटा_बेटी_एक_समान____

✍👤रोशन मिश्रा

के कहैं छैथ जे बेटी आन 
बेटी अईछ सबहक सम्मान 
बेटी के नहि करूँ अपमान 
बेटा-बेटी एक समान. . .  

सब मील एक टा डेग बढ़ाबू 
बेटी  के  होशियार बनाबु 
बेटा वला के टूटत अभिमान 
तैं बेटा-बेटी एक समान. . . 

बँद करूँ ई प्रथा दहेजक 
ई कुरीति आ रोग समाजक 
बचा लियS बेटी के स्वाभिमान 
तैं बेटा-बेटी एक समान. . . 

सुनु महाशय,  बेटा के बाप 
किया कS रहल छी एहन पाप
बकैश दियौ बेटी के जान 
तैं बेटा-बेटी एक समान. . . 

बेटी के अबला नय बूझू 
बिना पेनि तबला नय बूझू 
ओ त बचा रहल सभक सम्मान 
तैं बेटा-बेटी एक समान. . . 

-✍👤- - - - - - - रोशन मिश्रा- - - - - -




👩👩👩👩👩👩👩👩👩👩👩
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
👩👩👩👩👩👩👩👩👩👩👩




👩👩👩👩👩👩👩

कोई टिप्पणी नहीं