औरत_खिलौना_नय____ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

औरत_खिलौना_नय____

औरत_खिलौना_नय____

✍👤रोशन मिश्रा
______________________

औरत खिलौना नय 
ई त शक्ति केर भंडार छथि 
जूनि बूझू कमजोर हीनका 
हीनकर महिमा अपार छैंह ॥

लोक लाज खातिर 
अप्पन मुँह बँद राखैत छथि 
खानदानक इज्जत खातिर 
स्वयं के सताबै छथि ॥

हीनकर तुलना की करब हम 
ई त देवी माँ के समान छथि 
मर्द गौरव की करता स्वयं पर 
जे एही औरतक वरदान छथि ॥

हीनकर सम्मान मे 2 शब्द कहैं के साहस करब 

उठू यै नारी भेलै भोर 
देखु-देखु भागल चमड़ी चोर 
रूप धरु आब चंडी केर आँहा  
सब मौगा देत दाँत निपोइर ॥

अहिक रुप में मायक ममता 
अहिक रुप में बहिनक दुलार 
अहि बनल छी दुष्टक खातिर 
चंडीक  रूप ध करूँ संहार ॥

कतS नुकायत ओ दुष्ट सब 
पकैर-पकैर क कंठ मरोरु 
दुष्टक नाश नारी स सम्भव 
लाज-धाख केर बान्हन तोरू ॥
- - - - ✍👤 - - रोशन मिश्रा - - - - -



❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤





❤❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं