सत्ते हम मैथिल छी भैया... - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सत्ते हम मैथिल छी भैया...

।💐💐मिथिला महान 💐💐


सत्ते हम मैथिल छि भैया
पगड़ी हमर पहचान छी यो
मूहँ में पान दबा क चली
यैह मिथिला केर सान यो
                           सत्ते हम मैथिल छी भैया...
साँची बला धोती पहीरी
कान्ह डोपटा माँथैही पगडी
मिसरी सन मैथिली बोली
इहै मिथिला केर संस्कार
                            सत्ते हम मैथिल छी भैया..
पान मखान आ रहूक मूडा
मिथिला केर प्रधान यो
ईहो स्वर्ग नै छै भैटैईत
दबा क खाऊ समांग यो
                           सत्ते हम मैथिल छी भैया...
घरे -घरे गोसाऊनुक पिडी
ई विद्यापती केर गाँम यो
एतै उगना चाकर बनला
स्वंग शंकर भगवान यो
                           सत्ते हम मैथिल छी भैया...
बैदेही केर जन्मभूमि ई
पाहून एतै केर श्रीराम यो
मैथिल पूत्र कहाबि हमहूँ
मिथिला में हमर गाँम यो
                           सत्ते हम मैथिल छी भैया...
क़तार बसी या मलेशिया
बिसरी नहि संस्कार यो
मिथिला केर मान बढावि
पगड़ी के करू सम्मान यो
                          सत्ते हम मैथिल छी भैया...

....✍👤अज्ञात (कॉपी )


❤❤❤❤❤💟💟💟💟💟💗💗💝💝💝
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💗💗💟💟💝🌻💝💟💟🌻🌻




💝💝💝🌻🌻🌻💚💙


कोई टिप्पणी नहीं